जय धानुक समाज

#जागु_यौ_धानुक_समाज 
सूनूयो हमर धानूक समाज,
इक्छा अछि किछ कहै के आई,
मंन मे गूंजैय ऐक आवाज,
ढेरों रहिक हम घेट गेल छी,
छोट-छोट टूकरा मे बैंट गेल छी,
चलूना जोड़ेय छी सब टूकरा के आब,
सूनूयो हमर धानूक समाज,
इक्छा अछि किछ............॥
सामाज जोर के हम बिरा उठोने छि,
लोक कहैर हम इ पिरा उठोने छी,
कहके बाड़ी अछि आंहां कॅ आब
सूनू यो हमर धानूक समाज ,
इक्छा अछि किछ............॥
आई आत्मा भिभोर होय,
कमजोर जान सब छोईर दैय,
आव नै सब भाई मिल करी बूलंद आवाज,
किया चूप्प बैशल छी आई,
किछ बाजू न यौ समाज,
सूनूयो हमर धानूक समाज ,
इक्छा ऐछ किछ..........॥
आइ राइत एक स्पन आएल,
बड़ी भयंकर छल सभा छाऐल,
सभा मे सामिल हमहू छेली भयल,
गून्ज रहल छल ऐके आबाज,
जय हो जय हो धानूक समाज..॥
#ले० बिरेन्द्र मंडल धानुक

टिप्पणियाँ

इस ब्लॉग से लोकप्रिय पोस्ट

राजा धनक कि कहानी

धानुक दर्पण